Bihar and Mithila News

Total Pageviews

Diksha Web Solutions on LinkedIn

Site Value

Search This Blog

Friday, October 22, 2010

हम सब बना देलहुं सरकार

सरकार त एक माह बाद बनत, मुदा 47टा विधानसभा क मतदाता अपन मत दए एक प्रकार स सरकार बना देलक। एकरा एक प्रकार स सरकार क गर्भ धारण कही सकैत छी। पहिल चरणक बाद आब इ किछु किछु साफ सेहो देखा रहल अछि जे बिहारक जनता आखिर की चाहैत अछि। दलान पर का गप आ अंगनाक चर्चा मे भारी अंतर देखल गेल। दलान पर का चुनावी मुद्दा मे जाति प्रबल छल, मुदा अंगना मे जाति कमजोर देखल गेल। गाछी मे खेलाइत नव मतदाता लेल विकास सबस पैघ चुनावी मुद्दा रहल। जदयूक स्थिति सरकार बनेबा योग्य कहल जा रहल अछि, मुदा कांग्रेस कए एहि चुनाव मे जीवनदान भेटत। सरकार विरोधी तत्व स अपन लालटेन कए तीर प्रुफ बनेलाक बावजूद लालू कए इ पता लगेबा मे आब दिक्कत नहि रहल जे रामविलासक झोपडी मे राखल हुनकर लालटेनक तेल के निकाली रहल अछि। कुल मिला कए पहिल चरणक मतदान मे जदयू-भाजपा कए 26 स 29 टा सीट आबि सकैत अछि। जखन कि 12 स 14 टा सीट ल मुख्य विपक्षी दल राजद कांग्रेस स आगू रहत। कांग्रेस कए एहि चरण मे पांच स आठ टा सीट भेटबाक उम्मीद अछि। ओना इ ने ओपिनियन पोलक आंकडा छी आ ने एक्जिट पोलक सर्वे इ केवल एकटा चर्चाक बाद तय कैल गिनती छी जे आगू बदलि सकैत अछि।
भारी सुरक्षा क बीच विधानसभा लेल पहिल चरण क मतदान भेल। छिटपुट घटना कए छोडि मतदान शांतिपूण रहल। कुल 47टा सीट क लेल करीब 55 प्रतिशत वोट पड़ल। राज्य क मुख्य चुनाव अधिकारी सुधीर कुमार राकेश कहला जे छातापुर मे बूथ संख्या 177 पर पीठासीन अधिकारी क संग मारपीट क आरोप मे जदयू विधायक नीरज कुमार बबलू क खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि। हुनकर गिरफ्तारी क आदेश देल गेल अछि। वायसी मे सोशलिस्ट जनता पार्टी क उम्मीदवार अलीमुद्दीन अंसारी कए बूथ नंबर 112 पर गड़बड़ी करबाक आरोप मे गिरफ्तार कैल गेल अछि। मुख्य चुनाव अधिकारी कहलथि जे रोड नहि त वोट नहि क नारा पर बेनीपंट्टी क्षेत्र मे दसटा मतदान केंद्र पर मतदान क बहिष्कार भेल।
कटिहार मे प्राणपुर क बूथ संख्या 123 क पीठासीन अधिकारी मुहम्मद हबीब क हृदयाघात स मौत भ गेल। हुनकर आश्रित कए प्रावधान क अनुसार दस लाख टका मुआवजा राशि देल गेल अछि। मधुबनी मे 52 फीसदी, सुपौल मे 53 फीसदी, अररिया मे 53 फीसदी, किशनगंज मे 57 फीसदी, पूर्णिया मे 55, कटिहार मे 57, मधेपुरा मे 52 आ सहरसा मे 56 फीसदी मतदता वोट देलथि। मुख्य चुनाव अधिकारी कहला जे किछु जिला मे मतदान क प्रतिशत पहिने क तुलना मे बढ़ल अछि।
मधेपुरा
मधेपुरा जिला क चारिटा विधानसभा सीट पर भेल प्रथम चरण क मतदान मे मुकाबला दिलचस्प रहल। मंडल आयोग क अध्यक्ष बीपी मंडल क गृह जिला आ लालू-शरद क राजनीतिक समर क लेल चर्चित एहि जिला मे जातिगत वोटक परंपरा कायम रहल आ राजद-लोजपा, जदयू-भाजपा आ कांग्रेस क बीच दिलचस्प मुकाबला देखल गेल।
परिसीमन क बाद मधेपुरा जिला मे मधेपुरा, सिंहेश्वर, बिहारीगंज आ आलमनगर विधानसभा सीट बनल। जदयू क कब्जावाला एहि जिला क एहि चारू सीट पर ओकर मुख्य मुकाबला राजद-लोजपा आ कांग्रेस क बीच रहल।
भागलपुर, खगड़िया, सहरसा, सुपौल, अररिया आ पूर्णिया जिला क बीच आ कोसी नदी स प्रभावित मधेपुरा जिला मे जदयू विकास आ सुशासन कए चुनावी मुद्दा बनेलक मुदा विपक्षी दल कोसी क स्थायी समाधान आ विस्थापित क पुनर्वास कए मुद्दा बनेलक जाहि मे जातिगत आधार सेहो देल गेल। बाढ़ क क्षति क भरपाई एखन धरि नहि भ सकल अछि आ यातायात व्यवस्था क अभाव स जनता परेशान अछि।
मधेपुरा विधानसभा सीट जदयू क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क लेल प्रतिष्ठा क सीट बनल अछि। मंडल आयोग क अध्यक्ष बीपी मंडल क विधायक पुत्र मणिन्द्र कुमार मंडल क टिकट काटि कए एहि बेर जदयू अपन पूर्व सांसद रमेन्द्र कुमार यादव कए प्रत्याशी बनेलक अछि। एकर बावजूद राजद क चंद्रशेखर क बाट आसान देखा रहल अछि। ओना हुनकर जीतब कांग्रेस क राजेश रजनीश क वोट पर निर्भर करैत अछि।
महर्षि ऋृंगी क कर्मभूमि क लेल प्रसिद्ध सिंहेश्वर विधान सभा परिसीमन क बाद सुरक्षित भ गेल अछि। एहि ठाम स जदयू विधायक रमेश ऋषिदेव क मुकावला राजद क अमित कुमार भारतीय आ कांग्रेस क गणेश पासवान क संग अछि, ताहि ले हुनकर जीतबाक उम्मीद अछि।
जिला क नवसृजित बिहारीगंज विधानसभा सीट पर जदयू क टिकट पर चुनाव लड़ि रहल छथि बिहार क कृषि मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा, हुनकर मुख्य मुकाबला जेल मे बंद बाहुबली पूर्व सांसद पप्पू यादव क कनिया रंजीत रंजन आ राजद क प्रभाष कुमार स अछि। एहि ठाम उच्च जातिक वोट जदयू कए कम भेटला स रंजीता रंजन बाट आसान भ गेल अछि।
किछु एहने स्थिति आलमनगर विधानसभा क्षेत्र क अछि जदयू क राष्ट्रीय अध्यक्ष आ सांसद शरद यादव क खास बिहार क राजस्व मंत्री नरेन्द्र नारायण यादव कए जेल मे बंद पूर्व सांसद आनंद मोहन क कनिया आ पूर्व सांसद लवली आनंद स टक्कर अछि। उच्च जातिक कांग्रेस दिस झुकाव लवली कए विधानसभा पहुंचा सकैत अछि। ओना एहि ठाम स कुल 14टा प्रत्याशी अपन भाग्य आजमा रहल छथि। जिला मे सर्वाधित महिला वोटर एहि ठाम अछि।
कटिहार
जिला क सातटा विधानसभा क्षेत्र कटिहार, कदवा, बलरामपुर, प्राणपुर, मनिहारी, बरारी आ कोढ़ा मे मतदान भेल। कटिहार विधानसभा क्षेत्र निर्वाचन क्षेत्र स भाजपा प्रत्याशी तारकिशोर प्रसाद, राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी पूर्व मंत्री रामप्रकाश महतो, कांग्रेस प्रत्याशी प्रो. विनोद कुमार यादव, राकांपा प्रत्याशी भाई समसउद्दीन सहित अन्य प्रत्याशी क प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि। जाहि मे रामप्रकाशक बाट विनोद कुमार कठिन कए देलथि अछि।
कदवा विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र स कईटा माननीय भाग्य आजमा रहल छथि। भाजपा प्रत्याशी भोला राय, राकांपा से पूर्व मंत्री हिमराज सिंह, राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी ख्वाजा बहाउद्दीन अहमद, कांग्रेस क दिनेश इंसान मुख्य मुकाबला मे छथि।
बलरामपुर विधानसभा क्षेत्र स सीपीआई माले क महबूब आलम, जदयू-भाजपा गठबंधन क मो. सिद्दीक, कांग्रेस क शौकत हुसैन, राकांपा क हबीबुर रहमान मैदान मे छथि, मुदा माले आ कांग्रेस क जनाधार मो. सिद्दीकक बाट रोकि सकैत अछि।
प्राणपुर विधानसभा स राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी पूर्व मंत्री महेन्द्र नारायण यादव, भाजपा-जदयू गठबंधन क विनोद कुमार सिंह स मजबूत स्थिति मे छथि, मुदा कांग्रेस क अब्दुल जलील विनोदक राह आसान कए सकैत छथि।
मनिहारी विधानसभा क्षेत्र स नव चेहरा लोक कए पसंद आबि रहल अछि कांग्रेस प्रत्याशी सिकंदर मंडल, भाजपा-जदयू गठबंधन क मनोहर प्रसाद सिंह, राजद-लोजपा गठबंधन क मुखिया चम्पय किस्कू, आ राकांपा क गीता किस्कू मैदान मे छथि मुदा मनोहर प्रसाद क स्थिति नीक बुझा रहल अछि।
कोढ़ा विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र स भाजपा-जदयू गठबंधन क महेश पासवान, कांग्रेस प्रत्याशी सुनीता देवी, राकांपा क प्रत्याशी मंजू देवी, लोजपा-राजद गठबंधन क मनोज कुमार मैदान मे छथि। मुदा सुनीता देवी महेश पासवान कए बाट रोकि सकैत छथि।
बरारी विधानसभा स भाजपा-जदयू गठबंधन क विभाष चन्द्र चौधरी स आगू राजद-लोजपा गठबंधन क पूर्व मंत्री मंसूर आलम देखा रहल छथि मुदा कांग्रेस क संयोगिता सिंह परिणाम कए प्रभावित क सकैत छथि।
पूर्णिया
पूर्णिया जिला क सातटा विधानसभा क्षेत्र मे 86टा प्रत्याशी क भाग्य मतदाता तय करि देलथि। पूर्णिया सदर, कसबा, बनमनखी, रुपौली, धमदाहा, अमौर आ बायसी मे करीब 55 फीसदी मतदान भेल।
सदर विधानसभा क्षेत्र मे भाजपा स राजकिशोर केशरी, सीपीआईएम स अमित कुमार, काग्रेस स रामचरित्र यादव, लोजपा स पप्पू कुमार, राकांपा स सैयद गुलाम हुसैन सहित तेरह प्रत्याशी चुनावी मैदान मे छथि। भाजपा स राजकिशोर केशरी कए काग्रेस क रामचरित्र यादव बाट मुश्किल कए सकैत अछि।
कसबा विधानसभा स भाजपा स प्रदीप कुमार दास, कांग्रेस स मो. अफाक आलम, लोजपा स मो. शाहनवाज आलम, बसपा स मिथिलेश कुमार सहित दसटा प्रत्याशी लड़ि रहल छथि। भाजपा स प्रदीप कुमार दास क बाट कांग्रेस क मो. अफाक आलम आसान कए सकैत छथि।
बनमनखी स राजद स धर्मलाल ऋषि, भाजपा स कृष्ण कुमार ऋषि, कांग्रेस स शालीग्राम ऋषिदेव, बसपा स संजीव कुमार पासवान सहित 11टा प्रत्याशी चुनावी अखाड़ा मे ताल ठोकि रहल छथि। एहि ठाम भाजपा क कृष्ण कुमार ऋषि क बाट कांग्रेस क शालीग्राम ऋषिदेव कठिन क सकैत छथि।
बायसी स निर्दलीय सैयद रुकनुद्दीन, कांग्रेस स नसार अहमद, भाजपा स संतोष कुमार, राजद स अब्दुस सुभान सहित आठटा प्रत्याशी मैदान मे छथि। कांग्रेस क नसार अहमद भाजपा क संतोष कुमार क बाट आसान कए सकैत छथि।
धमदाहा स जदयू प्रत्याशी लेसी सिंह, बसपा स राजकुमार उरांव, राजद स दिलीप कुमार यादव, राकांपा स शिवचरण मेहता, कांग्रेस स इरशाद अहमद खान सहित 19टा प्रत्याशी चुनाव लड़ि रहल छथि। एहि ठाम जदयू प्रत्याशी लेसी सिंह, राजद क दिलीप कुमार यादव स मजबूत स्थिति मे छथि।
अमौर विधानसभा स अब्दुल जलील मस्तान कांग्रेस स, देव नारायण यादव बसपा स, बाबर आजम राजद स, सबा जफर भाजपा स सहित दसटा प्रत्याशी भिड़ंत अछि। एहि ठाम कांग्रेस भाजपा कए बाट कठिन कए देलक अछि।
रुपौली स शंकर सिंह लोजपा स, बीमा भारती जदयू स, बालकिशोर मंडल भाकपा स, मो. आशिफ अनवर कांग्रेस स सहित 15टा उम्मीदवार चुनावी अखाड़ा मे ताल ठोंकने छथि। एहि ठाम बीमा भारतीक स्थिति कमजोर भ गेल अछि, मुदा कांग्रेसक जनाधार परिणाम कए प्रभावित करत।
अररिया
अररिया जिले क छहटा विधान सभा क्षेत्र क 80टा प्रत्याशीक भाग्य तय भ गेल। ओना एहि चुनाव मे एकटा खास गप इ रहल जे कोनो दलक हवा नहि बनि सकल। मतदाता क चुप्पी चुनाव परिणाम कए अप्रत्याशित बना सकैत अछि।
ओना जिला क सबटा सीट पर भाजपा जदयू गठबंधन क कब्जा अछि। मुदा एहि बेर उच्च जातिक कांग्रेस दिस झुकाव आ किछु निर्दलीय प्रत्याशी क कारण चुनाव त्रिकोणीय संघर्ष मे बदलि गेल अछि।
अररिया विधानसभा क्षेत्र मे भाजपा, लोजपा आ कांग्रेस क बीच त्रिकोणीय संघर्ष अछि। लोजपा क जाकिर अनवर आ कांग्रेस क मोईदूर्रहमान भाजपा क नारायण झा क बाट कठिन केने छथि। एहन मे निर्दलीय अजय झा आ हैदर यासीन परिणाम कए बदलि सकैत छथि।
जोकीहाट विस क्षेत्र मे शुरू स जदयू आ राजद क बीच सीधा टक्कर छल, मुदा बाद मे कांग्रेस स टिकट नहि भेटला पर कौसर जिया जेना गोलबंदी केलथि अछि ताहि स राजदक बाट आसान भ गेल अछि। एहि ठाम स जदयू तस्लीमुद्दीन क पुत्र मो. सरफराज कए उम्मीदवार बनेने अछि, त राजद स युवा राजद क राष्ट्रीय महासचिव अरुण यादव छथि। ओना, कांग्रेस प्रत्याशी अयूब आलम सेहो दिल्ली क मुख्यमंत्री शीला दीक्षित क आगमन क बाद काफी उत्साहित छथि। एहन मे निश्चित रूप स जोकीहाट क चुनावी परिणाम चौंका सकैत अछि।
सिकटी मे लोजपा क उम्मीदवार अररिया क निवर्तमान विधायक विजय मंडल छथि, त भाजपा स पूर्व विधायक आनन्दी यादव। जखनकि कांग्रेस स जिला परिषद अध्यक्ष शगुफ्ता अजीम प्रत्याशी छथि। एहि ठाम सेहो जीत हार क कुंजी निर्दली क हाथ मे अछि।
फारबिसगंज विस क्षेत्र मे भाजपा आ लोजपा क बीच कांटा क संघर्ष अछि। भाजपा स महान उपन्यासकार फणीश्वर नाथ रेणु क पुत्र पदम पराग वेणु उम्मीदवार छथि। ओतहि लोजपा स पूर्व विधायक मायानन्द ठाकुर। जखकि कांग्रेस प्रत्याशी प्रकाश चौधरी आ बसपा प्रत्याशी मो. काफिल सेहो जी जान स लागल छलाह।
नरपतगंज मे सेहो भाजपा आ राजद मे मुख्य मुकाबला छल, मुदा कांग्रेस प्रत्याशी संघर्ष कए त्रिकोणीय बनेबा मे सफल रहलाह। भाजपा स जतए क्षेत्र क दबंग भगवान यादव क कनिया देवयंती यादव प्रत्याशी छथि, त लोजपा स पूर्व विधायक अनिल यादव। कांग्रेस प्रत्याशी आ जिलाध्यक्ष भारतेन्दू यादव प्रधानमंत्री क दौरा स काफी उत्साहित छथि। जदयू क जिलाध्यक्ष रहल अनंत राय क बागी बनला स भाजपा कए बाट कठिन भ गेल।
रानीगंज विस क्षेत्र मे सेहो भाजपा आ राजद क बीच टक्कर अछि, मुदा कांग्रेस एहि ठाम सेहो संघर्ष कए त्रिकोणात्मक करि देलक अछि। भाजपा क परमानन्द ऋषिदेव कए राजद क शांति देवी से खतरा अछि। किया कि कांग्रेस प्रत्याशी हरि प्रसाद वैश्यंत्री पिछड़ा, दलित आ अल्पसंख्यक क संग संग उच्चजातिक वोट मे सेंध लगा देलथि अछि।
मधुबनी 
मधुबनी जिला क दसो विधानसभा क्षेत्र मे राजगक इज्जत दांव पर अछि। ओना त हरलाखी, बेनीपट्टी, खजौली, बाबूबरही, बिस्फी, मधुबनी, राजनगर, झंझारपुर, फुलपरास आ लौकहा मे क्रमशः 9, 21, 16, 9, 15, 16, 10, 11, 20 आ 14टा उम्मीदवार मे छलथि, मुदा मुख्य मुकाबला राजद-लोजपा आ जदयू-भाजपा मे रहल। सबटा सीट पर कांग्रेस अपन जनाधार बढेबा मे सफल रहल। अनुमानक अनुसार राजग कए एहि जिला मे भारी नुकसान भ सकैत अछि आ महज तीन स चारि टा सीट पर जीतबाक उम्मीद अछि। जखन कि कांग्रेस अपन जनाधार बढेलाक बावजूद एकटा सीट जीतबाक स्थिति मे अछि। मधुबनी स राजद नैयर आजमक स्थिति कांग्रेस नीक कए देलक अछि, जखन कि बेनीपट्टी मे भाजपा क भाजपा क प्रदेश प्रवक्त विनोद नारायण झा कांग्रेस स आगू रहि सकैत छथि, विधान परिषद क पूर्व सभापति वीरेन्द्र चौधरी, मंत्री हरि प्रसाद साह, पूर्व मंत्री राम लखष राम रमण, राज कुमार महासेठ, नीतीश मिश्र आ फुलपरास स निवर्तमान विधायक देवनाथ यादव क कनिया गुलजार देवी सेहो नीक स्थिति मे छथि। पूरा चुनावक दौरान जदएस क राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह पूर्व केन्द्रीय मंत्री देवेन्द्र प्रसाद यादव क कोनो प्रभाव नहि देखल गेल।
किशनगंज
ठाकुरगंज स विधायक गोपाल कुमार अग्रवाल क मुकाबला मे पूर्व विधायक सह सांसद मौलाना असरारुल हक काशमी क छोट भाई जाहिदुर्र रहमान क प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि। एहि सीट स भाजपा क बागी अवधबिहारी सिंह निर्दलीय चुनाव मैदान मे छथि। लोजपा-राजद नौशाद आलम कए प्रत्याशी बनने अछि। एहि ठाम गोपाल कुमारक स्थिति मजबूत अछि।
बहादुरगंज विधानसभा क्षेत्र स कांग्रेस विधायक तौशीफ आलम कए बाट मुश्किल अछि। जदयू क प्रो. मुसब्बिर आलम आ राजद क अंजार नईमी हुनका टक्कर द रहल छथि।
कोचाधामन विधानसभा क्षेत्र स राजद विधायक अख्तरुल ईमान क प्रतिष्ठा कए जदयू प्रत्याशी मुजाहिद आलम आ कांग्रेस उम्मीदवार सादिक समदानी चुनौती द रहल छथि।
किशनगंज विधानसभा क्षेत्र स भाजपा क पूर्व विधायक सिकन्दर सिंह अपन कनिया स्वीटी सिंह कए चुनाव मैदान मे उतारलथि अछि। ओतहि काग्रेंस पूर्व विधायक डॉ जावेद कए टिकट देलक अछि। राजद पूर्व जिप अध्यक्ष तसीरुद्दीन कए अपन प्रत्याशी बना मुकाबाला रोचक बना देलक अछि मुदा लोजपा स बागी कलीमउद्दीन हुनकर बाट रोकबा मे सफल रहलाह।
सुपौल
सुपौल जिला क पांचटा विधानसभा क्षेत्र मे स एक निर्मली विधानसभा क्षेत्र स जदयू क अनिरुद्ध प्रसाद यादव, राजद क अरुणा मेहता पर कांग्रेस क विजय कुमार गुप्ता भारी देखल गेलथि, ओना एहि ठाम कुल 10टा प्रत्याशी मैदान मे छथि।
पिपरा विधानसभा क्षेत्र स जदयू क सुजाता देवी स लोजपा क दीनबंधु यादव मजबूत रहलाह, मुदा कांग्रेस क सूर्यनारायण यादव सेहो काफी वोट झटकबा मे सफल भेलाह अछि ताहि लेल परिणाम चौंका सकैत अछि। ओना एहि ठाम स कुल 16टा प्रत्याशी मुकाबला मे जमल छथि।
सुपौल विधानसभा क्षेत्र स जदयू क विजेन्द्र प्रसाद यादव, राजद क रवीन्द्र कुमार रमण स कमजोर देखा रहल छथि, ओना कांग्रेस क प्रमोद कुमार सिंह क वोट झटकबाक स्थिति परिणाम कए प्रभावित करि सकैत अछि, एहि ठाम स कुल नौटा प्रत्याशी अपन भाग्य आजमा रहल छथि।
त्रिवेणीगंज सुरक्षित क्षेत्र अछि, एहि ठाम जदयू क अमला देवी सब पर भारी छथि, लोजपा क अनंत कुमार भारती स कांग्रेस क सुरेन्द्र नारायण सरदार मजबूत छथि, ओना एहि ठाम स 13टा उम्मीदवार मैदान मे अछि।
छातापुर विधानसभा क्षेत्र स जदयू क नीरज कुमार सिंह बबलू क बाट राजद क अकील अहमद रोकि सकैत छथि, ओना कांग्रेस क शाह जमाल उर्फ लाल परिणाम बदलबाक स्थिति मे छथि, ओना एहि ठाम स बाकी 15टा उम्मीदवार कोनो खास प्रभाव मे नहि रहताह।

Komentar :

ada 0 comments ke “हम सब बना देलहुं सरकार”

Post a Comment

Jagran News

Jagran News
Jagran News

Popular Posts

Arsip Blog

Latest News

Followers

 

Popular Posts

Facebook Badge

This Blog is proudly powered by Website Traffic Online | Template by Web Solution India